टेम्पू दुर्घटनामे आधा दर्जन लोक घायल

    0
    396

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: रैयाम-मधुबनी मार्गकें रैयाम स्थित आरा मीलक समीप मोड़ पर मंगलदिन करीब 11:30 बजे एकटा टम्पू पलटि गेल, जाहिमे आधा दर्जन लोक घायल भए गेल। टेम्पू सवारी लए औसी जीरो माईल सं मधुबनी जा रहल छल।

    घायलमे मधुबनी जिलाक रहिका थानाकें इजरा गाम निवासी राज कुमार पासवान, बलाट गामक पारो देवी, पति उपेन्द्र चौपाल, सिया देवी, पति रामदेव चौपाल, रैयाम थाना क्षेंत्रक यास्मीन, पति शमरू जमा आ बेटी नेहा प्रवीण तथा बेटा, मो. हारिश शामिल छल। सबहक इलाज स्थानीय निजी क्लिनिकमे चलि रहल अछि, जहनकि पारो देवीकें डीएमसीएच पठा देल गेल।