मधेपुरा’क आधा दर्जन पुल-पुलियाक स्थिति दयनीय

    0
    273

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मधेपुरा जिलामे पुल-पुलिया’क स्थिति बहुत बेसी खराब अछि। बहुतो पुल-पुलिया त कखनहु धोखा दय सकैत अछि। सुखासन पुलक एकटा पाया बुधदिन धंसि गेल। जाहि सं तीन जिलाक संपर्क टूटि गेल। ओतहि मधेपुरा सं बेलारी होइत कुमारखंड जाए वला सड़क स्थित पुल सेहो जर्जर स्थितिमे अछि। अहिकें अलावा बहुतो पुलक स्थिति खराब अछि।

    मधेपुराके साहुगढ़कें जोड़य वला पुलक दूनू कात खाईद बनि गेला सं दुर्घटना हेबाक आशंका बनल रहैत अछि। पुलक दूनू दिस सड़क टूटल अछि। स्थानीय लोकक अनुसार बरसातक दिनमे नदीक पानि पुलक ऊपर से बहैत अछि। जाहि कारण साहुगढ़क संपर्क जिला मुख्यालय सं नहि रहैत अछि।

    फुलौत जाए वला पुलक स्थिति खराब अछि। ज्ञात हो कि पुलक ऊंचाई सड़कक ऊंचाई सं लगभग दू फीट कम अछि। अहि कारण बरसातक दिनमे पुलक ऊपर एक फीट तक पानि बहय लागैत अछि।