मांग पूरा करेबाक लेल हाजीपुर-मुजफ्फरपुर रेलखंड परिचालन बाधित केलक किसान संघर्ष समिति

    0
    337

    हाजीपुर, मिथिला मिरर: हाजीपुर जिला मे मुआवजाक मांग के लय किसान सब घोसवर रेलवे स्टेशनक समीप रेलवे पटरी के करीब तीन घंटा सं अधिक समय तक जाम कय देलनि। जामक कारने हाजीपुर-मुजफ्फरपुर रेलखंड पर ट्रेनक परिचालन पूर्ण रुपे बाधित रहल। परिचालन बाधित रहलाक कारने करीब एक दर्जन ट्रेन विभिन्न स्टेशन पर ठाढ़ रहल।

    ट्रेनक परिचालन बाधित रहबाक कारने आम जनता के काफी परेशानी उठाबय पड़ल। करीब तीन घंटाक बाद ट्रेन चालू कायल गेल। किसान संघर्ष समिति के बैनर तर चलाओल जा रहल आंदोलन के तहत किसान सब हाजीपुर-सुगौली नयी रेल लाइन मे देल गेल जमीनक बदला मे मुआवजा राशि नहि देबाके लय कय विरोध प्रदर्शन केलनि।

    किसानक कहब छल जे, रेलवे के जमीन देला तीन साल स अधिक भय गेल मुदा एखन धरि मुआवजा राशि नहि भेटल। किसान जमीनक कीमतक चारि गुणा मुआवजा राशि आ परिवारक एकटा सदस्य के रेलवे मे नौकरी देबाक मांग कय रहल अछि। किसानक कहब छल जे पूर्व मध्य रेलक जीएम जा धरि मौका पर नहि पहुंचता ता धरि आंदोलन जारी रहत।