दरभंगाक शहीद नरेश यादवकेँ श्रद्धांजलि देबाक लेल उमड़ल जन शैलाब

    0
    434

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सुकमामे मातृभूमिकेँ रक्षार्थ नक्सली मुठभेड़मे शहीद भेल दरभंगाक नरेश यादवकें पैतृक गाम अहिल्यामे बुधदिन राजकीय सम्मानक संग अंतिम संस्कार कएल गेल। शहीदकें सुकमा सं आए दरभंगा आनल गेल छल।

    शहीदक शहादत पर श्रद्धांजलि देबाक लेल हजारोक संख्यामे लोक जुटल छल। लोक शहीद नरेश अमर रहे आ भारत माता की जयकें उद्घोष सं शहीदकें विदाई देलनि। ज्ञात हो कि सोमदिन छत्तीसगढ़कें सुकमामे भेल नक्सलीय हमलामे 25 गोट जवान शहीद भेल छल।