बिहार मे सरकारी कर्मचारी’क लेल खुशखबरी, नीतीश सरकार देलक साल मे 40 छुट्टी’क सौगात

    0
    311

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षता मे कैबिनेट के बैसक मे मंगलदिन सरकारी कर्मचारीक लेल खुशखबरी लय क आयल। बैसक मे कैलेंडर 2017 के मंजूरी दैत सरकारी छुट्टी मे इजाफा कय देल गेल। नव साल स बिहार सरकार के कर्मचारी के 35 के बदले 40 छुट्टी भेटत।

    केबिनेटक बैसक मे 2017 के कैलेंडर के मंजूरी दैत छुट्टी मे इजाफा कायल गेल। आब बिहार सरकार के सब कर्मचारी के साल मे 40 अवकाश भेटत। गुरु गोविंद सिंह’क 350’म जयंती पर आयोजित प्रकाशोत्सव के लेल राज्य सरकार 3 दिनक छुट्टी घोषित केलक अछि। ई छुट्टी 3-5 जनवरी तक रहत। संगहि गांधीक चम्पारण यात्रा के शताब्दी समारोह के सेहो 2 दिनक अतिरिक्त अवकाश राज्यकर्मी के देल गेल अछि।

    वर्ष 2017 मे 17 आ 18 अप्रैल क छुट्टी घोषित कायल गेल अछि। अहि के अलावा नीतीश सरकार शराबबंदीक बाद निबंधन, मद्य निषेध आ उत्पाद विभागक नाम बदलि कय मद्य निषेद, उत्पाद आ निबंधन विभाग कय देलक अछि।