मधुबनी मे 34 किलो गांजाक संग चारि गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    283

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक लौकही थाना पुलिस वाहन चेकिंग के दौरार एक टेम्पू सं 34 किलो गांजाक संग चारि टा तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि। जानकारीक अनुसार टेम्पू पर गाजा लादि कय भारतीय क्षेत्र मे आनल जा रहल छल।

    इसी दौरान जहन टेम्पूक कचनरवा चौक पर तलाशी लेल गेल त टेम्पू सं तीन टा बोरा मे भरल गांजा बरामद भेल। अहि के संग चारि गोटे के सेहो पुलिस गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार लोकक पहिचान निर्मली थानाक महुआ गामक श्याम सुन्दर यादव, परमेश्वर यादव, मझारीक लालदेव शर्मा आ नेपालक कल्याणपुर के राम विलास यादव के रूप मे कायल गेल अछि।
    जानकारी दैत लौकही थानाध्यक्ष रामचंद्र चौपाल कहलनि जे, अहि मामला मे प्राथमिकी दर्ज कय सब गिरफ्तार अपराधी के जेल पठा देल गेल।