मधुबनी स्टेशन पर लागत पूर्व रेलमंत्री ललित नारायण मिश्रक प्रतिमाः अशोक झा

    0
    372

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिला विकास परिषद् कोलकाता आ रेलवेक संयुक्त प्रयास सं मधुबनी रेलवे स्टेशन पर पूर्व ललित मंत्री देशक कद्दावार नेता स्व. ललित नारायण मिश्रक प्रतिमा लगाओल जाएत। मधुबनी स्टेशनक दक्षिणवारी भागमे जीआरपी थाना लग ललित बाबूक प्रतिमा स्थापति करवाक लेल घरक निमार्ण कैल गेल अछि। मिथिला मिररकें संपादक सं बातचीत करैत अशोक झा कहला जे जमीन आ भवनक निर्माण रेलवे प्रशासन कें द्वारा कैल जा रहल अछि जखन कि अहि पूरा प्रक्लपक जिम्मा मिथिला विकास परिषद् कोलकाता लग अछि।
    झा कहला जे मिथिला विकास परिषद कोलकाता द्वारा जे प्रतिमा लगाओल जाएत ओकर प्रदाता बेनीपट्टीक ब्रह्मपुरा निवासी कामदेव झा छथि। कोलकातामे मिथिला-मैथिलीक विभिन्न गतिविधिमे कामदेव झा केर आर्थिक रूपसं बहुत पैघ योगदान छन्हि। अशोक झा कहला जे भवन निर्माणक कार्य लगभग पूर्ण भय गेल अछि आ कहिया तक प्रतिमाक अनावरण हैत अहिकें तिथीक घोषणा  एखन नहि कैल गेल।