दरभंगा मे एकटा उत्कृष्ट हवाई अड्डा के निर्माण जल्द – डाॅ. महेश शर्मा

    0
    390

    दिल्ली, मिथिला मिरर: भारती मिथिला सहयोग समिति, आ गैर सरकारी संगठन दीपक फाॅउंडेशन के संयुक्त तत्वावधान मे नोएडा सेक्टर 47 मे आयोजित बाबा विद्यापति पर्व समारोह मे बतौर मुख्य अतिथि पहुंचल केन्द्रीय मंत्री डाॅ. महेश शर्मा मिथिला आ मैथिल संस्कृतिक जमि कय प्रशंसा केलनि। डाॅ. शर्मा कहलनि जे, हम अपूर्ण छलहुँ, मुदा जहन हमर संबंध मिथिला सं जुड़ल त हम पूर्ण भय गेलहु। ओ कहलनि जे हमर पत्नी मिथिला सं छथि ताहि दुआरे हम मिथिला-मैथिली के बहुत करीब सं जनैत छी।

    मिथिला मिरर के मुख्य संपादक ललित नारायण झा’क संग साक्षात्कार मे डाॅ. शर्मा दरभंगा हवाई अड्डा, राजनगर एवं बलिराजगढ़ तथा मिथिला राज्य गठन के एहेन महत्वपूर्ण विषय पर विस्तार सं चर्चा केलनि।

    केन्द्रीय मंत्री कहलनि जे हम दरभंगा मे एकटा उत्कृष्ट हवाई अड्डा बनेबाक दिशा मे काज कय रहल छी। कियाक त पटना हवाई अड्डा एखन धरि ओहि रूप सं विकसित नहि भय सकल अछि जेहेन हेबाक चाही। जहां तक पर्यटन आ संस्कृति के बात अछि त केन्द्र सरकार बिहार के लेल 500 करोड़क एकटा विशेष पैकेज देलक अछि आ आगू सेहो हम अहि दिशा मे काज करैत रहब।

    डाॅ. महेश शर्मा कहलनि जे, बलिराजगढ़ हमर पुरातत्व विभाग के दायरा मे अबैत अछि आ जल्दिये केन्द्र सरकार, स्थानीय सरकार के सहयोग सं उत्खनन के काज शुरू कराओत आ हमरा उम्मीद अछि जे, ओतय 10 हजार साल पहिने के संस्कृतिक पता चालत। मिथिला राज्य गठन पर बाजैत केन्द्रीय मंत्री कहलनि जे, ई पूरा कैबिनेटक मुद्दा अछि आ हम कैबिनेट के बैसक मे ई विषय ज़रूर राखब।

    कार्यक्रम मे मैथिली पत्रकारिता मे उत्कृष्ट योगदान देबाक लेल केन्द्रीय मंत्री डाॅ. महेश शर्मा ललित नारायण झा के सम्मानित केलनि। मैथिली पत्रकारिता के व्यवसायिक रूप देबा मे जुटल मधुबनी जिला के मैलाम गाम निवासी स्व. राजेन्द्र झा के पुत्र आ मिथिला मिरर के संपादक ललित नारायण झा के मैथिली पत्रकारिता मे उत्कृष्ट योगदानक लेल नोएडा मे आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मे केन्द्रीय पर्यटन एवं संस्कृति मंत्री द्वारा मैथिली पत्रकारिता सम्मान सं सम्मानित कायल गेल।

    कार्यक्रम के समापन पर धन्यवाद ज्ञापन करैत दीपक फाॅउंडेशन के संस्थापक दीपक झा कहलनि जे, हम आगू सेहो अप्पन सभ्यता आ संस्कृति के आगू बढेबाक लेल सतत् प्रयासशील रहब। संस्था के चेयरमैन प्रभाष झा कहलनि जे हम जल्दिये मिथिलावासी के लेल टेली मेडिसिनक क्षेत्र मे एक क्रांति आनब जाहि सं समाजक दूर-दराज़ के लोक के व्यापक स्वास्थ्य सुविधा भेटतनि। कार्यक्रम मे पर्यटन मंत्रालय के सदस्य आलोक वत्स, स्थानीय विधायक विमला बाथम, विधान पार्षद सह राष्ट्रीय मंत्री भाजपा, रजनीश सिंह, पूनम आज़ाद सहित बहुतो गणमान्य उपस्थित छलाह।