पुलिस छाबनीमे तब्दील भेल डीएमसीएच परिसर

    0
    303

    दरभंगा, मिथिला मिरर: डीएमसीएच रोडमे मंगलदिन भेल छुरेबाजी’क घटनामे दुनु पक्षक लोक एक दोसरा पर मामला दर्ज करौलक अछि। छुरा लगला सं घायल भेल बेलवागंज मोहल्ला निवासी विक्रम महतो मस्जिद गली निवासी मो. अमरूद्दीन उर्फ शहंशाह, पिता मो. शाहबुद्दीन उर्फ लड्डू, भाई मो. रजी सहित ओकर संगी पुरषोत्तम कुमार सहित दर्जन भरि लोककें नामजद केलक अछि। पुरषोत्तम कुमार कुशेश्वरस्थान निवासी लाल मुखिया’क पुत्र अछि।

    फिलहाल ई नाका नंबर छह पर किरायाके मकानमे रहैत अछि। सब पर मारिपीट आ छुरा मारबाक आरोप लगाओल गेल अछि। ओतहि दोसर दिस मो. अमरूद्दीन उर्फ शहंशाहकें दिस सं विक्रम महत, शक्ति आनंद सहित दर्जन भरि लोक पर हमला करबा व क्लिनिककें क्षति पहुंचेबाक आरोप लगाओल गेल अछि। दुनु पक्षक बीच भेल मारिपीट आ छुरेबाजीकें मामलाकें पुलिस गंभीरता सं लेलक अछि।

    एसएसपीके निर्देश पर तत्काल तीन गोटेकेँ गिरफ्तार कय लेल गेल अछि आ शेष आरोपीकें गिरफ्तार करबाक निर्देश देल गेल अछि। छुरेबाजीक घटनाकें बाद डीएमसीएच परिसर पुलिस छाबनीमे तब्दील भए गेल अछि। लहेरियासराय थाना पुलिसक अलावा, नगर, मब्बी, बेंता, सदर, व टाउन थानाक पुलिस घटना स्थल पर पहुंचकय मामलाकें शांत करेबामे लागल छल।

    ओतहि डीएम डॉ. चद्रंखेखर सिंह दुनू पक्षके समर्थककें समझा-बुझाकय शांत करौलनि। सदर एसडीओ डॉ. गजेन्द्र सिंह सेहो विधि-व्यवस्थाक नियंत्रित करबामे लागल छथि।