सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सीतामढ़ी जिलाक गोशालाकें एकटा विवाह भवनमे कार्यकारी अध्यक्ष ध्रुव कुमारक अध्यक्षतामे जिला फेयर प्राइस डीलर्स एसोसिएशन प्रतिनिधीक बैसक संपन्न भेल। बैसकमे जिला एवं प्रखंडक सैकड़ों प्रतिनिधि उपस्थित छलाह। संस्थाक महासचिव रामचंद्र मिश्र बैसककें संबोधित करैत कहलनि जे, 20 मार्च कए केंद्रीय खाद्य आपूर्ति मंत्री रामविलास पासवानकें 12 सूत्री मांग पत्र सौंपल गेल छल। मुदा केंद्र सरकार एवं राज्य सरकार डिस सं एखनहु कोनो कार्रवाई नहि भेल अछि।
मांग पत्रमे सब डीलरकें सरकारी सेवक घोषित करबा, सहायक कर्मी उपलब्ध करेबा आ साप्ताहिक अवकाश घोषित करबा सहित 11 टा मांग शामिल अछि। बैसकमे आगामी 21 जून कए पटनाक श्रीकृष्ण मेमोरियल हॉलमे आयोजित सम्मेलनमे भाग लेबाक अपील कएल गेल अछि। मौका पर ताराकांत झा, विजेंद्र कुमार सिंह, सोहन कुमार, विजय महाजन, सुरेश राम, सुरेंद्र सिंह, सुनील पासवान, वीणा देवी, रतन झा, बैद्यनाथ सिंह आ प्रेम कुमार सहित 150 प्रतिनिधि शामिल भेलाह।



