बेटी के जन्म देबाक अपराध मे बच्चा समेत जिन्दा जराओल गेली माय

    0
    260

    मिथिला मिरर-शिवेश झा: एक दिस जतय रियो ओलंपिक सं बेटी द्वारा आनल गेल पदक सं समुच्चा भारतीय गर्व महसूश कय रहल अछि, ओतहि दोसर दिस बिहारक गया जिला मे दू टा बेटीक जन्म देबाक इनाम मे एकटा माँ’क संग बच्चाक के मौत के घाट उतारि देल गेल।

    घटना खिजरसराय प्रखंड के महकार थाना क्षेत्र अन्तर्गत लकड़ियां गामक अछि। सूत्रक अनुसार दहेज मे मोटरसाईकिल नहि भेटला आ दू टा बेटी के जन्म देलाक बाद सासुरक लोक रिंकू देवी आ हुनकर दुनू बेटी 6 वर्षीय रेशमी आ 2 वर्षीय डबली के चारपाई स बान्हि कय जीबते जरा देलक।

    मृतका के पिता बाद मे महकार थाना मे लड़की के सासुर पक्षक खिलाफ हत्याक मुकदमा दर्ज करौलक अछि। घटना के बाद स सब आरोपी फरार बताओल जा रहल अछि।

    खिजरसराय थाना के तरका गांव निवासी चंदेश्वर यादव अप्पन बेटी रिंकू’क विवाह 7 साल पहिने लड़कियां गामक सूर्यदेव यादव के पुत्र पिंटू यादव स करौने छल। विवाहक बाद दू टा बेटी के जन्म भेल छल। खर्चक एवज मे सासुर पक्षक लोक मोटरसाईकिलक मांग केलक संगहि बेटाक बदले बेटीक जन्म देबाक लेल रिंकू के प्रताड़ित करय लागल।