दरभंगा मे महिला के मुंह पर सिगरेटक धुआं फेकला सं बिगड़ल हालात, परीक्षा स्थगित

    0
    258

    दरभंगा, मिथिला मिरर: एकटा फुटपाथी महिला दोकानदार के मुंह पर एकटा पाॅलीटेक्निक छात्र द्वारा सिगरेटक धुआं छोड़बाक घटना दरभंगा मे तूल पकड़ि लेलक अछि। पहिने त छात्र तथा स्थानीय मोहल्लाक लोकक बीच जमिकय मारिपीट भेल। जकरा बाद स्थिति मे सुधार नहि देखि पुलिस के लाठीचार्ज करय पड़ल।

    माहौल खराब हेबाक बाद ललित नारायण मिथिला विश्व विद्यालय के सोमदिन तेसर पार्ट के परीक्षा स्थगित करय पड़ल। पुलिस के सोमदिन दू बेर बार लाठी चार्ज करय पड़ल। जाहि के बाद पुलिस पर पथराव सेहो कायल गेल। घटना मे बहुतो लोक चोटिल भेल अछि।

    घटना के लय क विवि इलाका आ कादिराबाद मे तनावक माहौल बनल अछि। पूरा क्षेत्र पुलिस छाबनी मे तब्दील भय गेल अछि। तनाव और अधिक नहि बढ़य ताहि लेल स्थानीय लोगक मांग पर हॉस्टल खाली करवाओल जा रहल अछि।