कामेश्वर सिंह’क 109वां जन्म दिवस समारोह मनाओल गेल

    0
    263

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: सोमदिन कल्याणी फाउन्डेशन द्वारा दरभंगा राज परिसर स्थित कल्याणी भवन मे महाराज कामेश्वर सिंह’क 109वां जन्म दिवस समारोह मनाओल गेल। जाहि मे दिल्ली विश्वविधालय के प्रोफ़ेसर तथा साहित्य जगत के महसूर हस्ती डा. हरीश त्रिवेदी बतौर मुख्य अतिथि के रूप शामिल भेलाह।

    कार्यक्रमक शुरुआत मे सर कामेश्वर सिंह’क तस्वीर पर माल्यार्पण कय हुनका मोन पारैत दरभंगा राज द्वारा आधुनिक भारत मे शिक्षा’क क्षेत्र मे हुनकर योगदान पर वक्ता द्वारा चर्चा कायल गेल। अहि अवसर पर साहित्य जगत के डा. सुरेंद्र गोपाल, उदय नाथ झा, डा. मानस बिहारी वर्मा सहित बहुतो गणमान्य उपस्थित छलाह।