कॉलेज में तालाबंदी केलक दरभंगा कॉलेज आॅफ इंजीनियरिंग के छात्र

    0
    376

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा कॉलेज आॅफ इंजीनियरिंग के छात्र कॉलेज एनुअल फंक्शन के नाम पर कॉलेज द्वारा कायल जा रहल वसूलीक खिलाफ कॉलेज के मुख्य भवन मे तालाबंदी कय विरोध प्रदर्शन केलक।

    छात्रक कहब अछि जे, बिहार सरकारक कोनो इंजीनियरिंग कॉलेज के एनुअल फंक्शन मे छात्र सं रुपैया नहि लेल जाइत अछि, बल्कि कॉलेज फंक्शन के सबटा खर्च वहन करैत अछि। जहन कि दरभंगा कॉलेज आॅफ इंजीनियरिंग मे छात्र सं रुपैया लय क एनुअल फंक्शन कराओल जाइत रहल अछि।