दरभंगा’क इंजिनियर के पटना मे सड़क हादसा के दौरान मौत

    0
    338

    पटना, मिथिला मिरर: दरभंगा जिलाक घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत तुमौल गामक मानस कुमार नाम के एकटा युवक के सड़क दुर्घटना मे दर्दनाक मौत भय गेल। जानकारी के अनुसार 35 वर्षीय मानस कुमार अप्पन रॉयल इनफील्ड मोटरसाइकिल सं ऑफिस जा रहल छल, ताहि दौरान बोरिंग रोड के समीप स्कूल बस के ओवरटेक करबाक प्रयास मे ओ रिक्शा सं टकरा कय सड़क पर खासि पड़लाह। सूत्रक अनुसार अधिक गति मे चलि रहल स्कूल बसक पिछला पहिया मानस के माँथ पर चढ़ि गेल, जाहि सं मानस के मौका पर मौत भय गेल।

    हादसा के बाद ड्राइवर बसक गति और अधिक कय भागय चाहल, मुदा स्थानीय लोक सब ड्राईवर के बोरिंग रोड चौराहा पर खदेड़कय पकड़ि लेलक। मौका पर उग्र भीड़ सड़क जाम कय देलक। घटना के जानकारी भेटतहि मौका पर पंहुचल एसकेपुरी थाना पुलिस आक्रोशित भीड़ के समझा-बुझा कय लहास के कब्ज़ा मे कय पोस्टमार्टम के लेल पठा देलक। पुलिस के अनुसार मृतक मानस कुमार निजी कंपनी मे इंजीनियर छल।