बढ़ाओल गेल दरभंगा व्यवहार न्यायालयक सुरक्षा

    0
    423

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बिहार के अदालत परिसर मे आपराधिक वारदात मे वृद्धिक कारने अदालत प्रांगणक सुरक्षा के लेल चिंतित पटना उच्च न्यायालयक पहल पर प्राथमिकता के आधार पर अदालत प्रांगणक सुरक्षा बढ़ा देल गेल अछि। एकर असर शुक्रदिन दरभंगा व्यवहार न्यायालय प्रांगण के प्रवेश द्वार पर देखल गेल। प्रत्येक प्रवेश स्थल पर महिला तथा पुरुष सुरक्षा कर्मी अधिवक्ता, मुवक्किल समेत सब व्यक्ति के जांचक बाद अदालत प्रांगण मे प्रवेशक अनुमति देलक।

    मोटर साइकिल के डिक्की के सही खोलि कय जांच कायल गेल। बता दी जे, पूर्व मे मुजफ्फरपुर, आरा छपरा, भागलपुर समेत विभिन्न जिलाक व्यवहार न्यायालय परिसर मे घटित आपराधिक वारदात स चिंतित उच्च न्यायालयक पहल पर बिहार सरकार अदालत प्रांगणक चाक चौबंद सुरक्षा व्यवस्था के दिशा मे सकारात्मक पहल शुरू केलक अछि। दरभंगा व्यवहार न्यायालय प्रांगण मे गत छह वर्षक भीतर फायरिंग तथा बम विस्फोटक घटना घटित भय चुकल अछि।