माकपा कार्यकर्ता केलक प्रखंड कार्यालय पर प्रदर्शन

    0
    408

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: सीपीआईएमकें विरनामा तुला शाखा’क तत्वाधानमे शुक्रदिन प्रखंड कार्यालय पर कार्यकर्ता खाद सुरक्षा, प्रधानमंत्री आवास तथा पेंशन योजना सं वंचित लोककें नाम सूचीमे जोड़बाक मांगकें लए प्रदर्शन केलक। शाखा सचिव अरूण कुमार रायके नेतृत्वमे कार्यकर्ता अपन मांग सं संबंधित नारेबाजी करैत जुलूसक संग प्रखंड कार्यालय पहुं।

    पंचायत समिति भवनक समक्ष कार्यकर्ता एकटा सभा’क आयोजन केलक। जकरा संबोधित करैत वक्ता सब आजादीकें एतेक वर्ष धरि गरीबक उत्थान नहि हेबाक कारण सरकारी तंत्रमे पसरल घुसखोरी आ भ्रष्टाचार अछि। वक्ता कहलनि जे, जा धरि सरकारी विभागमे भ्रष्टाचार पर पूर्ण विराम नहि लगाओल जाएत टा धरि, गरीब-गूरबा, शोषित आ वंचित होइत रहत।

    कार्यकर्ता जनहित सं जुड़ल 6 सूत्री मांग रखलक। सबकें राज्य सचिव मंडल सदस्य अजय कुमार, अंचल सचिव रामाश्रय महतो, किसान सभाकें जिलामंत्री उपेन्द्र राय, रामलगन राय, रामप्रवेश राय, रमेश कुमार, बुधन रजक आदि कार्यकर्ता संबोधित केलनि।