डेंगू-चिकनगुनिया सं रोकथामक लेल फाॅगिंग करैत पार्षदः सत्येन्द्र राणा

    0
    289

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र दिल्लीमे डेंगू आ चिकनगुनिया अहि बेर महामारीक रूप लए लेलक अछि, हजारोक संख्यामे आम जनता अहि दुनू बीमारीक चपेटमे आबि गेल छथि। सरकारी आंकड़ाक मानी त एखन धरि डेंगू आ चिकनगुनिया सं करीब एक-एक सोरे व्यक्तिक मृत्यु भए चुकल अछि। दिल्लीक मुख्यमंत्री बेंगलुरूमे अपन नमहर जीभकें आॅपरेशन करवा रहला अछि त दोसर दिस दिल्लीक स्वास्थ्य मंत्री सत्येंद्र जैन अहि बात कें दाबी कए रहला अछि जे चिकनगुनिया सं लोकक मृत्यु नहि भए सकैत अछि। एतबे नहि मरै वला व्यक्ति दिल्लीकें नहि भए सकैत अछि।
    एक दिस आम आदमी पार्टी आ एमसीडी एक दोसरा पर आरोप प्रत्यारोप लगा रहल अछि त दोसर दिस अहिठामक आम जनता बदलाही सं त्रस्त भए अपन जान दए रहला अछि। समय सं फाॅगिंग नहि हेवाक कारणें अहि बीमारीमे वृद्धि दर्ज कैल गेल आ इ आब महामारी बनल जा रहल अछि। एहनमे दिल्लीक कुतूव विहार सं पार्षद आ मिथिलाक पुत्र सत्येन्द्र सिंह राणा अपना एच्छिक कोष सं लोककें मदद करवाक लेल आगू ऐलाह। राणा स्वयं फाॅगिंग मशीन उठा अपन वार्डक विभिन्न इलाकामे मशीन सं छिड़काव करैत जनैर एलाह जाहि सं किछु हद तक डेंगू आ चिकनगुनिया सं लोककें राहत भेट सकए।
    सत्येन्द्र सिंह राणा मिथिलाक बेगूसराय जिला सं छैथ आ एकटा सशक्त मैथिलक जे गुण हेवाक चाही ओ सत्येन्द्र मे छन्हि। इहै कारण छन्हि जे दिल्लीक जाटक घैनमे रहितो सत्येन्द्र पार्षद चुनल गेलाह आ सफलता पूर्वक अपन कर्तव्यक निर्वहन सेहो कए रहलाअ अछि। सत्येन्द्र राणा द्वारा चलाओल गेल फाॅगिंग कार्यक्रममे बबलू मिश्र, रंजीत सहित बहुतो रास युवा आ समाजसेवी लोकनि भाग लेलनि।