दरभंगा मे पॉलिटेक्निक कॉलेजक प्रिंसिपल 20 हजार रुपैया घूस लैत गिरफ्तार

    0
    268

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार के दरभंगाक पॉलिटेक्निक कॉलेजक प्रिंसिपल के निगरानी विभाग घूस लैत रगेहाथ गिरफ्तार केलक। जानकारीक अनुसार कॉलेज के प्रिंसिपल विन्देश्वर मिश्र कॉलेजक डाटा ऑपरेटर रितेश कुमार जे कि दरभंगा के केवटी थाना क्षेत्रक बरुआ गांमक निवासी छथि, तिनका स 20 हजार रुपैया हुनकर सर्विस एक्सटेंसनक लेल लय घूसक रूप मे लय रहल छलाह। जकर सूचना रितेश कुमार पहिनहि निगरानी ब्यूरो मे दय देने छलाह।

    एकरा बाद निगरानीक टीम बुधदिन डीएसपी विनय कुमार सिंहक नेतृत्व मे भोरे साढ़े 11 बजे विन्देश्वर मिश्र के ऑफिस स रंगेहाथ गिरफ्तार केलनि। रितेश 8 अगस्त 2016 क निगरानी मे शिकायत केने छल।अहि बीच दू दिन पहिनहि निगरानी टीम आबि कय सत्यापन केने छल। जकरा बाद छापेमारीक लेल टीमक गठन कायल गेल जाहि मे 8 ऑफिसर छलाह। टीम मे डीएसपी विनय कुमार सिंहक संग इन्स्पेक्टर अमर सिंह, अकलू दत्ता, महेश कुमार आदि शामिल छलाह।