मधुबनी मे नीतीश’क ‘निश्चय यात्रा’ कार्यक्रम मे फेरबदल संभव

    0
    276

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक 16 नवम्बर क संभावित निश्चय यात्रा के कार्यक्रम मे फेरबदल हेबाक संभावना अछि। डीएम गिरिवर दयाल सिंह एवं एस पी दीपक बरनवाल शनिदिन एक बेर फेर लखनौर प्रखण्डक लौफा के दौरा केलनि। डीएम अप्पन काफिलाक संग हेलीपैड निर्माणक जगह के तलाश मे धारावती उच्च विद्यालय लखनौर एवं मधेपुर के डीएवी काॅलेज के नजदीक तक गेलाह। हलांकि एखन एकर पुष्टि नहि भेल अछि मुदा प्रशासनिक सूत्रक अनुसार पूर्व निर्धारित ललित कर्पूरी स्टेडियम मे हेलीपैड नहि बनाकय धारावती उच्च विद्यालय के प्रांगण मे हैलीपैड निर्माणक योजना पर काज कायल जा रहल अछि।

    एम्हर, लौफा पंचायत मे सरकारक सात निश्चय मे स गली सड़क नाला निर्माणक कार्य शनिदिन द्रुत गति स शुरू कराओल गेल। डीएम के दौरा मे अनुमंडल सं प्रखण्ड स्तर तक के सब अधिकारी संग छल। बता दी जे, झंझारपुर एवं लखनौर प्रखण्ड के कोनो पंचायत मे सरकारक सात निश्चय कार्यक्रम के अमलीजामा पहिरबाक लय सरकारक स्तर पर पंचायत के खाता मे एकटा रूपैया नहि आयल अछि।