दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा-बेनीपुर पथ पर माधोपुरकें समीप एकटा तेज रफ्तार कारक चपेटमे एला सं घटनास्थले पर 10 वर्षिय स्कूली छात्रक मौत भए गेल। घटनाक विरोधमे स्थानीय लोक सब ढ़ाई घंटा तक सड़क जाम कय यातायात बाधित कय देलक। सूत्रक अनुसार, कार दरभंगा सं बेनीपुर जा रहल छल, अहि बीच माधोपुर चौककें समीप स्कूल जा रहल 10 वर्षिय सचिन कुमार यादव कारक चपेटमे आबि गेल।
घटनाक सूचनाकें बाद प्रखंड विकास पदाधिकारी प्रदीप कुमार झा आ बहेड़ा थाना पुलिस मौका पर पहुंचकय मामलाकेँ शांत करौलनि। स्थानीय लोक एतय स्पीड ब्रेकर बनेबाक मांग कय रहल छल। लोकक कहब छल जे, पिछला एक वर्षमे आधा दर्जन घटना एतय घटि चुकल अछि।
प्रशासनिक पहल पर दिनक 12 बजे जाम हटाओल जा सकल आ यातायात सामान्य भेल।




