दरभंगा मे विज्ञान प्रदर्शनी मे बच्चा सब केलक कमाल

    0
    310

    दरभंगा, मिथिला मिरर: स्थानीय एंजेल हाई स्कूलक प्रांगण मे विज्ञान प्रदर्शनीक आयोजन कायल गेल छल। अहि प्रदर्शनी के मुख्य अतिथि जिला शिक्षा पदाधिकारी डॉ सुधीर कुमार झा छलाह। अहि के अतिरिक्त अन्य अतिथी डॉ. सोहेल अख्तर, मधु रंजन प्रसाद, एम पी चौबे, मधु उपाध्याय, डॉ. मनोरंजन उअपस्थित छलाह।

    अहि अवसर पर बच्चा द्वारा विज्ञान प्रदर्शनीक मुख्य अतिथि सब कक्षा मे घूमि कय बच्चा द्वारा तैयार कायल गेल मॉडल तथा प्रयोगिक के देखि जानकारी लय अंक देलनि। जकर आधार पर प्रथम एवं द्वितीय तथा तृतीय स्थान पर बच्चा के चिन्हित कायल गेल।

    अहि अवसर पर बच्चा तथा शिक्षक शिक्षिका के सेहो प्रोत्साहित कायल गेल। जाहि मे मुकेश कुमार, नितिन कुमार, पंकज कुमार, रवि कुमार, सुबि, कल्पना कुमारी, शब्बा परवीन, हिना परवीन वंदना कुमारी, इत्तफाक मोइन, आफ़रीन हेना एवं मंच संचालक प्रभास कुमार मिश्रा के प्रोत्साहित कायल गेल।