सुपौल, मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगत\रवि रोशन कुमार: सुपौल के छातापुर सं विधायक नीरज कुमार बबलू के नेतृत्व मे मंगलदिन छातापुर विधानसभा क्षेत्र मे तिरंगा यात्रा निकालल गेल, जाहि मे भारी संख्या मे लोक भारत माता की जय, वंदे मातरम के नारा लगबैत क्षेत्रक भ्रमण केलनि। यात्राक शुरुआत रतनपुरा बाजार सं कायल गेल जे भीमनगर होइत वीरपुर गोल चौक धरि पहुँचल।
अहि मौक़ा पर विधायक बबलू कहलनि जे, तिरंगा यात्राक मुख्य उद्देश्य राष्ट्रीय एकता, अखण्डता आ आपसी भाईचारा के मजबूती केनाय अछि। कश्मीर सं कन्या कुमारी तक तिरंगा यात्राक आयोजन कायल जा रहल अछि।
उक्त तिरंगा यात्रा मे वीरपुर नगर अध्यक्ष गोपाल आचार्य राघवेन्द्र झा राघव, भाजपाक जिला अध्यक्ष राम कुमार राय, बैद्यनाथ भगत, तपेश चन्द्र मिश्र, अरूण मिश्र, वीरपुर भाजपा नगर अध्यक्ष पशुपति गुप्ता, बालेश्वर प्रसाद सिंह, सुशील मेहता, भीमनगर मुखिया सुधीर सिंह’क अलावा बहुतो लोक मौजूद छलाह।
            

