प्रखंड प्रमुख द्वारा कायल गेल ‘मून स्टार टेनिस क्रिकेट टूर्नामेंटक’ उद्धघाटन

    0
    309
    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: दरभंगाक घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत पाली गाम मे एकबेर फेर खेल जगत के बढ़ावा देल गेल। बृहस्पति दिन पाली मैदान मे प्रखंड प्रमुख मुंद्रिका देवी द्वारा फीता काटिकय खेलक उद्धघाटन कायल गेल। एतय वर्षो सं लगातार क्रिकेट मैचक आयोजन होइत आयल अछि।
    उद्धघाटन समारोह मे प्रखंड प्रमुख मुंद्रिका देवी, प्रखंड उपप्रमुख नसर नवाब, प्रखंड विकास पदाधिकारी अहमर अब्दाली, मुखिया संघ अध्यक्ष सुधीर ईश्वर, जदयू अध्यक्ष विनोद मिश्र, राजद अध्यक्ष सुरेंद्र यादव, लोजपा अध्यक्ष महमूद आलम तथा मैच संचलन नजरुल इस्लाम, अब्दुल हफ़ीज मौजूद छलाह।
    पहिल मैच धमसाइन आ कसरर गाँमक बीच खेलल गेल। जाहि मे धमसाईन टॉस जीतकय पहिने बल्लेबाजी करबाक निर्णय लेने छल।