बेगूसराय, मिथिला मिरर: बेगूसराय के चेरियाबरियारपुर थाना क्षेत्र मे मंगलदिन राति अपराधी लूटपाट के दौरान एकटा व्यवसायी के गोली मारि देलक। जानकारी के अनुसार बताओल जा रहल अछि जे, जिला के खोदाबंदपुर थाना क्षेत्रक खोदाबंदपुर निवासी संजय कुमार साह देर राति मोटरसाइकिल स बेगूसराय सं अप्पन गाम आबि रहल छलाह। तखनहि पंचमुखी चैक के निकट घात लगा कय बैसल अपराधी लूटपाटक कोशिश केलक। विरोध केला पर अपराधी संजय साह पर गोली चला देलक। अपराधी व्यवसायी स 10 हजार रुपैया आ मोबाइल फोन लूटि लेलक अछि।



