रामपट्टी मे बीएसएनएल टावरक हाल बेहाल

    0
    316

    मधुबनी, मिथिला मिरर-सुनील झा: मधुबनीक रामपट्टी बाजार स्थित बीएसएनएल टावरक हाल बेहाल अछि। जाहि सं लगातार बीएसएनएल उपभोक्ताक नेटवर्क समस्या बढ़ि रहल छन्हि। सरकारी बिजली के भरोसे चलि रहल अहि टावर के ई हाल अछि जे, बिजली कटल त मोबाइलक नेटवर्क गुम।

    बिहार मे बिजलीक की दशा अछि, ई ककरो सं नुकायल नहि अछि। रामपट्टी के बात करि त एतय मुश्किल सं 15 घंटा बिजली आपूर्ति होइत अछि। एहेन मे मोबाईल उपभोक्ता के बिजलीक संग-संग मोबाईल नेटवर्क सेहो एतबे काल भेटैत छन्हि, जाहि सं लोकक परेशानी दिनोदिन बढ़िये रहल अछि।

    टेलीकॉम क्षेत्रक सब सं पुरान आ विश्वसनीय सरकारी कंपनी हेबाक कारने एतय बीएसएनएल उपभोक्ताक तादात अधिक अछि। बावजूद, टावरक नियमित आ लगातार सञ्चालन लेल नियमित रूप सं जेनरेटरक व्यवस्था नहि कायल जा रहल अछि, जाहि सं स्थानीय उपभोक्ता मे रोष व्याप्त अछि।