भागलपुर मे बाढ़िक पानि सं धँसल पुल, रेल परिचालन ठप

    0
    313

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे बाढ़िक कहर लगातार जारी अछि। बाढ़िक कहर के बीच भागलपुर मे रेल ट्रैक धंसला स रेलक परिचालन बुरी तरहे प्रभावित भेल अछि।

    भागलपुर जिलाक खड़िया पिपरा के समीप बाढ़ि के कारने एकटा पुल क्षतिग्रस्त भय गेल। ओहि पुलक उपर स रेल ट्रैक सेहो गुजरैत अछि, जाहि सं ट्रेनक परिचालन बाधित भय गेल अछि। रूटक बहुतो ट्रेन के अलग-अलग स्टेशन पर ठाढ़ कायल गेल अछि। हावड़ा-जमालपुर सुपर एक्सप्रेस गंगानिया मे रोकल गेल अछि, जहन कि एलटीटी एक्सप्रेस जे भागलपुर स मुंबई जाइत अछि भागलपुर मे रूकल अछि।

    डिब्रूगढ़ स नई दिल्ली जाय बला ब्रह्मपुर मेल सेहो भागलपुर मे ठाढ़ अछि जहन कि अपर इंडिया सेहो भागलपुर मे रुकल अछि। ज्ञात हो कि भागलपुर मे गंगा नदीक कहर लगातार जारी अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बाढ़िक कहर के बीच शुक्रदिन भागलपुरक दौरा कय बाढ़ि पीड़ितक हाल जनलाह।