राजद पर मांझीक पोस्टर वॉर, लालू केँ कहलनि होटवार जेलक सुप्रीमो, तेजप्रतापक संस्कार पर सेहो उठेलनि सवाल

0
554

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे जेना-जेना चुनाव केँ समय लगिच आबि रहल अछि, बिहारक सियासी पारा सेहो चढ़ल जा रहल अछि। पूर्व मंत्री रघुवंश बाबू केँ निधन केँ उपरांत हुनक चिट्ठी पर सियासी बयानबाजी सँ ल’ पोस्टर वार तक शुरू भ’ चुकल अछि। हम केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष जीतनराम मांझी मोर्चा खोलि देने छथि आ ओ लगातार राजद पर हमला क’ रहल छथि। एतबे नहि एही बेर लालू केँ दुनू बेटा तेजप्रताप आ तेजस्वी पर सेहो निशाना साधलनि अछि।

मंगलदिन राजधानी पटना मे हुनक पार्टी जगह-जगह पोस्‍टर  लगौलक अछि। जाहि मे मांझी रघुवंश प्रसाद सिंह केँ निधनक जिम्मेवार लालू केँ बतौलनि अछि आ लालू केँ होटवार जेलक अधीक्षक कहल गेल अछि। पोस्टर केँ माध्यम सँ सवाल कएल गेल अछि जे अपन दुनू नकारा बेटा केँ स्थापित करबाक लेल राजद आओर कतेक लोकक बलि चढ़ाओत। एतबे नहि तेजप्रताप केँ संस्कार पर सवाल ठाढ़ करैत पूछलनि अछि जे कोन तरहक़ परिवेश मे हुनक लालन-पालन भेल अछि जे बुजुर्ग केँ सम्मान करबा केँ बदला अपमान करैत छथि। जनतब होयत जे तेजप्रताप कहने छलाह जे समुद्र मे सँ एक लोटा पानि निकलि गेला सँ समुद्र थोड़े सुखि जाइत छैक।

एहि पूरा मामला पर हम केँ प्रवक्ता डॉ. दानिश रिजवान कहलनि अछि जे ‘हम’ कार्यकर्ता रघुवंश बाबु केँ चिट्ठी ल’ गाम-गाम जायत। मालूम होयत जे रघुवंश बाबू अपन निधन सँ तीन दिन पूर्व राज्यक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ वैशालीक विकास वास्ते एकटा चिठ्ठी लिखने छलाह जाहि मे हुनक किछु अंतिम इच्छा केँ बातक जिक्र छल।

हालांकि एही पूरा विवाद पर राजद लालू परिवारक बचाव क’ रहल अछि। राजद सांसद मनोज झा कहलनि अछि जे लालू आ रघुवंशक रिश्‍ता खून-पसीना सँ सिंचल छल। एही पर सवाल ठाढ़ करब उचित नै। ओतहि पार्टी प्रवक्ता मृत्युंजय तिवारी मांझी पर पलटवार करैत कहलनि अछि जे मांझी जाहि गठबंधन मे गेलाह अछि ओही मे पहिने सँ बुढ़-बुजुर्ग केँ अपमान होइत रहल अछि। निधन पर सियासत करब ओही गठबंधन केँ धर्म छनि। आँखी खोलि क’ देख लैथ जे कोना जार्ज साहेब केँ संग कोन तरहक व्यवहार कएल गेल छल। शरद यादव केँ उदाहरण किनको सँ छिपल नहि अछि। वर्तमान मे सुशांत केँ निधन पर कोन तरहक राजनीति भ’ रहल छैक। जनता सभटा जनैत अछि।