दरभंगाक छथि भावना कंठ, पहिल महिला फाइटर पायलट बनवाक गौरव प्राप्त कैलनि

    0
    506

    दिल्ली,मिथिला मिरर-सुनीत ठाकुरः अंतरराष्ट्रीय महिला दिवस अर्थात 8 मार्च कऽ जखन भारतय वायु सेनाक प्रमुख एयर चीफ मार्शल अरूप राहा जखन भारतय वायु सेनामे महिला कें पाइटर विमान उड़ेवाक अनुमति देलनि त ओहि पहिल खेप मे तीन गोट महिलाक चुनाव भेल। देखिते-देखिते इ खबैर सौसे पसरि गेलैक आ धीरे-धीरे इ बात कें खुलास भेल जे तीन गोट महिलामे सं एकटा गुजरात, एकटा मध्य प्रदेश आ एकटा बिहार सं छथि। बादमे एहन तरहक बात आयल जे बिहारक भावना कंठ मिथिलाक बेगूसराय सं छथि मुदा आ समस्त स्थिति स्पष्ट भय गेल अछि।
    दरभंगा जिलाक घनश्यामपुर प्रखंड कें बाउर गामक रहनिहाइर छथि। तेज नारायण कंठ उर्फ मोहन कंठक पहिल संतान भावना फिलहाल हैदराबाद स्थित एयर क्राफ्ट अकादमीमे फाइटर प्लेन उड़ेवाक प्रशिक्षण लय रहल छथि। भावना कंठक पिताजी बेगूसरायक बरौनी रिफाइनरी मे बतौर इंजीनियर कार्यरत्त रहैत ताहि लेल भावना प्राथमिक आ हाईस्कूल तक कें पढ़ाई बरौनी रिफाइनरीकें डीएवी स्कूल सं केलही। बाद मे भावनाक पिता मोहिन कंठन बदली भय गेलनी आ ओ वर्तामानमे उत्तर प्रदेशक मथुरा मे इंडियन आॅयल काॅरपोरेशन मे बतौर इलेक्ट्रिकल इंजीनियर कार्यरत्त छथि ताहि लेल भावनाक किछु पढ़ाइ मथुरा, यूपी सं सेहो भेल छलनि।
    पढ़ाइमे अव्वल भावना खेल मे सेहो ओतबे रूचि रखैत छथि आ बैडमिंटन आ वाॅलीबाॅलकें बढि़या खेलाड़ीक रूपमे सेहो अपना आप कें स्थापित केने छलथि। भावना अपन ट्रेनिंग पूरा केलाक बाद पूर्ण रूप सं पाइटर प्लेन उड़ावय लगतिह आ मिथिला अपन बेटी कें मिग-20, मिराज, जगुआर आ सुखोई-30 कें उड़वैत देखि सकैत छथि। एखन तक भारतीय वायु सेनामे महिला पायलट लोकनि हेलीकाॅप्टर आ भारी प्लेन मात्र उड़वैत छलीह। भावनाक अहि उपलब्धि सं नहि सिर्फ मिथिला अपितु भारतक माथ सबदिन गौरव सं ऊंच होइत रहत। संपूर्ण मिथिलावासी सहित मिथिला मिररक टीम दिस सं भावना कंठ कें हार्दिक बधाई आ अशेष शुभकामना।