बीच चौराहा पर बुढ़ मां के छोड़ि कय भागल बेटा

    0
    345

    शिवहर, मिथिला मिरर: कहल जाईत अछि जे, मां देवीक रूप मे पूजल जाईत अछि, आ मां अप्पन बच्चा संग परिवार के कखनो असगरे नहि छोड़ैत अछि। मुदा ओ मां जहन बूढापा मे बिस्तर पकड़ि लैत अछि त ओकरा पूछनाहर किया नहि।

    बृहस्पति दिन देर राति एकटा कलयुगी बेटा अप्पन 80 वर्षक बूढ़ मां के राजस्थान चौक पर छोड़ि कय भागि गेल। बृद्धा के अनुसार, हमर बेटा आ पुतौह चंढीगढ स आबि रहल छल। राति मे चैाराहा पर हमरा उतारि कय कहलक जे, अहाँ एतय रुकू हम सब आबि रहल छि। मुदा एखन धरि ओ घुरि कय नहि आयल।

    वृद्धा अप्पन नाम सुदामा बता रहल छथि संगहि रिषीदेव पाण्डेय के पत्नी कहि रहल छथि। ओ मोतीहारी के फेनहारा थाना के देकुलिया के रहय बाली छथि। हुनकर बेटा नाम नन्दु पाण्डेय, बब्लू पाण्डेय, रंजीत पाण्डेय छन्हि। वृद्ध एखनहु कपड़ा के मोटरी लेने अप्पन बेटा के इंतेजार कय रहल छथि।