मिथिलाक पाग, डोपटा आ असमिया गमोछा सं सम्मानित भेलाह मुख्यमंत्री सोणोवाल

    0
    325

    दिल्ली-मिथिला मिररः असम हिन्दी भाषी ब्राह्मण समाज आ मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति गुवाहाटीक संयुक्त तत्वाधानमे एकटा प्रतिनिधि मंडल असमक मुख्यमंत्री सर्बानंद सोणोवाल सं भेंट कए हुनका मिथिलाक पाग, डोपटा आ असमिया गमोछा सं हुनका सम्मानति केलक। मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति गुवाहाटीक अध्यक्ष प्रेमकांत चौधरी आ उपाध्यक्ष राजेन्द्र झा अगुआइमे मुख्यमंत्रीकें सम्मानित कैल गेलनि।
    18 दिसंबर कऽ प्राग्ज्ञज्योति आईटीए सेंटरमे संपन्न भेल सुंदर सन सांस्कृतिक कार्यक्रमक आ तदुपरांत मुख्यमंत्रीकें कैल गेल सम्मानक बाद मुख्यमंत्री सं जुड़ल एकटा विश्वस्त व्यक्ति संस्थाक अध्यक्षा प्रेमकांत चौधरीकें अहि बातक लेल आश्वस्त करवेलाह जे आगामी 4 मई कऽ होइवला जानकी नवमींमे मुख्यमंत्री सोनोवाल मैथिल समाजक बीच उपस्थित भए जानकी सं आशीवार्द लेताह।