लोकतंत्रक मूल भावना केँ धूमिल कऽ रहल अछि विपक्षः अमित शाह

0
3

मिथिला मिरर, स्नेहा झाः भारतक गृह एवं सहकारिता मंत्री अमित शाह चुनाव आयोगक निष्पक्षता एवं मतदाता सूचीक विशेष गहन पुनरीक्षण एसआइआर) पर विपक्षक आरोप केँ आधारहीन कहैत, अपन बयान मे कहलनि जे विपक्ष द्वारा लगातार अवरोधक राजनीति सँ लोकतांत्रिक भावना धूमिल भऽ रहल अछि। सदन मे चलि रहल शीतकालीन सत्र मे बारम्बार हो-हंगामा, नारेबाजी आ बहसक बीच अमित शाहक एहि बयानक राजनीतिक महत्व गम्भीर मानल जा रहल अछि। गृहमंत्री साफ शब्द मे कहलनि जे विपक्ष सदन चलबाक संस्कृति पर हमला कऽ रहल अछि संगहि सदनक परंपरा आ कार्यसंस्कृति केँ कमजोर करबाक प्रयास मे जुटल अछि। जनता द्वारा चुनल प्रतिनिधि केँ जनहितक मुद्दा पर चर्चा करबाक अवसर भेटवाक चाही, मुदा विपक्ष मुद्दा सँ भागि मात्र अवरोधक राजनीति कऽ रहल अछि। संसद जनसंवादक मंदिर थिक आ एतय लगातार होइत बाधा, लोकतंत्रक स्वास्थ्यक लेल हानिकारक अछि। सरकारक तैयार बिल पर चर्चा नहि भऽ पाबि रहल अछि। अमित शाह कहलनि जे सरकार बहुत रास महत्वपूर्ण विधेयक चर्चाक लेल लऽ कऽ आयल अछि, आंतरिक सुरक्षाक सुदृढ़ीकरण, आर्थिक सुधार, नागरिक कल्याण सम्बन्धी प्रावधान सन गंभीर मुद्दा पर चर्चा बदला विपक्ष हो-हंगामाक बैसाखिक प्रयोग कऽ सदनक अमूल्य समय बर्बाद कऽ रहल अछि। देशक विकास लेल जे कानून जरूरी अछि, ओकरा पारित करबाक अनुमति तक विपक्ष नहि दऽ रहल अछि। एकर कारण विपक्षक डर आ निराशा थिक। गृहमंत्री बतौलनि जे विपक्ष मुद्दाक अभाव मे मात्र हल्ला मचा रहल अछि, कोनो ठोस तथ्य नहि रहबाक अभाव मे उपद्रव कऽ जनता केँ दिगभ्रमित करबाक कोशिश करैत अछि। ई रणनीति लोकतंत्रक छवि केँ कारिख पोतबाक सन कहल जा सकैत अछि आ जनता सब देखि रहल छथि।