समस्तीपुर के कृषि मेला मे बिकायल 38 गोट कृषि यंत्र, डेढ़ लाखक भेटल अनुदान

    0
    366

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: कृषि विभाग द्वारा समस्तीपुर प्रखंडक किसान के लेल कृषि मेलाक आयोजन कायल गेल। मेलाक उद्घाटन करैत स्थानीय विधायक अख्तरूल इस्लाम शाहीन कहलनि जे, बिहार सरकार किसानक हित के प्रति काफी गंभीर अछि। ओ किसानक योजना के लाभ सही समय पर पहुँचेबाक बात कहलनि। ओ कहलनि जे योजनाक लाभ वास्तविक किसान के जरूर भेटबाक चाही।

    मौका पर प्रखंड प्रमुख इंगलिश देवी व जिला कृषि पदाधिकारी चंद्रशेखर अप्पन-अप्पन विचार व्यक्त केलनि। मेला मे जाहि किसान के स्वीकृतिक आदेश गेल छल ओहि मे सं 38 गोट किसान के अनुदान पर कृषि यंत्र देल गेल।

    कृषि समन्वय मुकेश कुमार कहलनि जे, मेला मे चारि तरहक कृषि यंत्र पर अनुदानक व्यवस्था छल। किसान के पंपसेट, स्प्रेयर, चाराकल, सिचाई पाइप पर अनुदान देल गेल। अनुदानक कुल राशि एक लाख 46 हजार 500 रुपैया बताओल जा रहल अछि।