भाजपमे एलाक बाद आप विधायक वेद प्रकाश कहलनि पार्टीक 35 गोट विधायक नेतृत्व सं नाखुश

    0
    295

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बवाना सं आम आदमी पार्टी’क विधायक वेद प्रकाश भाजपामे शामिल भए एमसीडी चुंनाव सं पहिने आम आदमी पार्टीकें बहुत पैघ झटका देलनि अछि। वेद प्रकाश एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंसमे कहलनि जे, हम कोनो लालचमे भाजपामे नहि शामिल भेलहु। साफ-सुथरा राजनीति करबाक लेल एलहुँ। ओ कहलनि जे, दिल्लीमे सब ठाम घूसखोरी व्याप्त अछि। नाकाम आ बड़बोल लोकक बीच फंसल छलहुँ, एखनहु हमरा लग तीन सालक समय अछि।

    वेद प्रकाश अरविंद केजरीवाल पर आरोप लगेलनि जे, किछु लोक केजरीवालके घेरि रखने अछि, केजरीवालकेँ कानमे जे कहल जाइत अछि, ओ मानि लैत छथि। केजरीवालकें नहि पता कि की चलि रहल अछि। ओ बस मोदी आ उप राज्यपालकें बदनाम करय पर लागल रहैत छथि। ओ कहलनि जे, आए दिल्लीक सब आदमी ठकल महसूस कए रहल अछि। हम जाली खेल देखाबय वलामे फंसि गेल छलहुँ।

    वेदप्रकाश कहलनि जे, हम पार्टीमे घुटन महसूस कय रहल छलहुँ, सरकार विधानसभा चुनावक दौरान जनता सं कएल वाडा पूरा करबामे असफल अछि। ओ कहलनि जे, करीब 35 टा विधायक आम आदमी पार्टीक नेतृत्व सं खुश नहि अछि।