दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: दिल्ली नगर निगम चुनावक तिथि लग एलाक बाद राजनितिक पार्टीमे जीतक लेल हड़बड़ाहट शुरू भए गेल अछि। सब पार्टी अप्पन-अप्पन रणनीति आ प्रत्याशी तय करबामे लागि गेल अछि। एहेनमे आम आदमी पार्टी अप्पन पूर्वांचली विधायककेँ महत्वपूर्ण जिम्मेदारी दए सकैत अछि। दिल्लीमे लगभग 30 लाख पूर्वांचली मतदाता अछि जे, कोनो भी चुनावक दिशा तय करबाक लेल सक्षम अछि। ओतहि दिल्लीमे आम आदमी पार्टीक 11 गोट पूर्वांचली विधायक अहि मतकेँ अपना पक्षमे पलटबाक लेल जोड़ लगाओत से पहिनहि सं तय मानल जा रहल अछि। ओना भाजपा द्वारा मनोज तिवारीके दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष नियुक्त केलाक बाद ई आम आदमी पार्टीक लेल ई आसान काज नहि अछि।
आम आदमी पार्टी एहेन विधानसभाके चिन्हित केलक अछि जतय पार्टी नेतृत्व अभियान चलाओत। आप लग एखन 11 टा पूर्वांचली विधायक अछि, जे 1993कें बाद विधानसभामे सब सं अधिक अछि। कैबिनेट मंत्री कपिल मिश्रा आ गोपाल राय सेहो पूर्वांचल सं अबैत छथि। ओतहि पार्टी संयोजक दिलीप पांडेय सेहो पूर्वांचली छथि।
पार्टीक एकटा वरिष्ठ नेता कहलनि जे, कोनो पार्टी पूर्वांचलक लोककेँ एतेक प्रतिनिधित्व नहि देलक अछि जतेक आम आदमी पार्टी दए रहल अछि। पार्टीक वरिष्ठ नेता आ कार्यकर्ता 100 एहेन सीट पर फोकस करत जतय पूर्वांचलक मतदाताक वर्चश्व अछि।