सीतामढ़ी मे बम फटला सं एकटा महिला घायल

    0
    281

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहार के सीतामढी जिला के सुरसंड थाना अन्तर्गत मलाही गाम स्थित एकटा  आमक गाछी मे रविदिन बम फाटि गेल, जाहि के चपेट मे आबि कय एकटा महिला घायल भय गेलीह।

    पुलिस अधीक्षक हरि प्रसाद एस बतौलनि जे, अहि हादसा मे घायल महिला मलाही गाम निवासी रामसश्रेष्ठ राउत पत्नी के इलाजक लेल सुरसंड स्थित सरकारी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, घटना स्थल स चारि टा अन्य देशी बम सेहो बरामद कायल गेल। पुलिस मामलाक जांच शुरू कय देने अछि।