मोदीकें हरेबाक लेल महागठबंधन जरूरी, नीतीश एकमात्रक विकल्प: जदयू

    0
    481

    पटना, मिथिला मिरर: यूपीमे समाजवादी पार्टी आ बसपा’क करारी हारकें बाद एक बेर फेर सं नीतीश कुमारकें अगिला प्रधानमंत्री पदकें उम्मीदवार घोषित करबाक मांग तेज भेल अछि। जदयूके नेता एक सुरमे नीतीश कुमारकें अगिला प्रधानमंत्री पदक उम्मीदवार घोषित करबाक मांग कए रहल अछि।

    जदयूक प्रवक्ता संजय सिंह कहलनि जे, जा धरि देशक तमाम राजनीतिक दल भाजपाकें हरेबाक लेल एकटा मंच पर नहि आओत ता धरि प्रधानमंत्री मोदीकें हरेनाइ संभव नहि अछि। यदि मायावती उत्तर प्रदेशमे कांग्रेस आ समाजवादी पार्टीक गठबंधनके संग हाथ मिलेने रहैत त ओतयकें तस्वीर किछु और रहैत।