दरभंगा मे अतिक्रमणकारी पर चलाओल गेल बुलडोजर

    0
    608

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा स्टेशन रोड मे मंगलदिन अतिक्रमणकारीक खिलाफ कार्रवाई कायल गेल। जाहि मे दर्जनो दोकान के सड़क सं हटाओल गेल। सदर सीओ राकेश कुमारक नेतृत्व मे विश्वविद्यालय, नगर व कोतवाली थानाक पुलिस के देखि अतिक्रमणकारीक हालत खराव भय गेल। सब अप्पन-अप्पन सामान लय भागय लागल। कार्रवाई मे बहुतो दोकानदारक सामान क्षतिग्रस्त भय गेल। अहि सं दोकानदार काफी आक्रोश छल। हालांकि, अतिक्रमण सं परेशान लोक काफी खुश छल।

    लोकक कहब छल जे, अहि तरहक कार्रवाई रोज हेबाक चाही। सड़कक कात अनाधिकृत रूप स बनाओल गेल दोकान के नोचि कय हटा देबाक चाही। अहि कार्रवाई सं रोड पर बहुत देर धरि हड़कंप मचल रहल। दोकानदार एक-दोसरा के सचेत कय रहल छल आ अपन सामान लय कय भागि रहल छल।

    दू घंटा मे अतिक्रमणकारी के खदेड़ कय हटा देल गेल। मालूम हो कि हालक दिन मे स्टेशन रोड सं अतिक्रमणकारी के सेहो हटाओल गेल छल। मुदा, एक महिनाक भीतर फेर सं दोकान खोलल गेल छल।