एलएनएमयू मे नामांकनक लेल छात्रक प्रदर्शन

    0
    515

    दरभंगा, मिथिला मिरर: ऑल इंडिया स्टूडेंट फेडरेशन स्नातक व स्नातकोत्तर मे नामांकन स वंचित छात्रक संग लनामिविवि मे मंगलदिन प्रदर्शन केलनि। एमआरएम कालेज स नारेबाजी करैत सब छात्र विवि पहुंचल। जकर नेतृत्व चुन्नू ठाकुर केलनि।

    मौका पर आयोजित सभा के संबोधित करैत राज्य उपाध्यक्ष मृत्युंजय कहलनि जे, यदि विवि प्रशासन वंचित छात्रक नामांकनक लेल व्यवस्था नहि केलक त आगू आंदोलन जारी रहत। शरद सिंह कहलनि जे, विवि प्रशासन के छात्रक भविष्यक संग खिलवाड़ करबाक कोनो अधिकार नहि अछि।

    फेडरेशन के अहि मांग पर विवि पदाधिकारीक संग वार्ता भेल। अध्यक्ष छात्र कल्याण डॉ. भोला चौरसिया व कुलानुशासक डॉ. अजयनाथ झा छात्र नेता स चारि दिनक भीतर मे अहि पर विचार करबाक बात कहलनि। मौका पर अभिलाष देव, मुकेश कुमार, नूतन कमारी, चाहत गुप्ता, सबा प्रवीण, निशा कौशर आदि मौजूद छल।