पवन एक्सप्रेस मे बच्ची’क गरदनि दबाकय लॉकेट निकाललक

    0
    320

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: लोकमान्य तिलक सं दरभंगा जाय वला पवन एक्सप्रेसक जनरल बोगी मे एकटा युवक बच्ची के गरदनि दबा कय सोनाक लॉकेट चोरा लेलक। बच्चीक हल्ला के बाद यात्री युवक के पकड़िकय जमिकय पीट देलक। गंभीर रूप स घायल युवक के हाजीपुर रेल थाना के हवाला कय देल गेल।

    हाजीपुर रेल पुलिस युवक के मुजफ्फरपुर रेल थाना के सौंप देलक अछि। जतय पुलिस युवक के सदर अस्पताल मे उपचार करौलक। पीड़ित बच्ची के परिजन रेल थाना मे शिकायत केलक अछि। देवरिया के बंगरा निवासी रामबाबू साह कहलनि जे, पवन एक्सप्रेस मे मुंबई स मुजफ्फरपुरक टिकट छल। अजय साह नामक युवक हमर नतिनी ज्योति कुमारी के गरदनि दबाकय सोनाक लॉकेट निकालि लेलक। बच्ची के हल्ला के बाद यात्री चौकस भय गेल आ युवक के पकड़ि लेलक। पुलिस घटनाक पुष्टि करैत कहलक जे, युवक स पूछताछ कायल जा रहल अछि।