मुजफ्फरपुर मे सीओ तथा थानाध्यक्ष पर हमला

    0
    262

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: उच्च न्यायालयक आदेश पर थाना क्षेत्रक मुशहरी गोपाल गौशालाक जमीन पर अतिक्रमण हटेबा लेल गेल मुशहरी सीओ नवीन भूषण, थानाध्यक्ष कंचन भास्कर, थानाक पुलिस तथा मुख्यालय स पहुंचल जवान पर आक्रोशित ग्रामीण हमला कय देलक। ग्रामीण द्वारा प्रशासन के खदेड़ कय पिटाई कायल गेल।

    एम्हर, मुजफ्फरपुर मे अहि वारदात मे सीओ नवीन भूषण, गौशालाक सचिव कृष्ण मुरारी भरतियाक संग आधा दर्जन सं अधिक पुलिस जवान जख्मी भय गेल। एकटा होम गार्डक जवान केसरी नंदन ठाकुरक हालत गंभीर अछि। घायलों मे दरोगा राजनाथ सिंह, उपेंद्र शर्मा, मिथिलेश कुमार सिंह, होम गार्डक जवान चुल्हाई, बासगीत राय, रंजू देवी, सुमन कुमार, रघुनाथ भगत, रामदेव पांडेय, ट्रेनी दारोगा हरि नारायण राम सेहो घायल भय गेलाह।
    हंगामा करय वला एकटा अतिक्रमणकारी महेश रायक खोपड़ी मे आगि लगा देलक। लोक के लागल जे, पुलिसकर्मी अहि घटनाक अंजाम देलक अछि। अहि पर लोक अधिक आक्रोशित भ गेल आ ईंटा-पाथर फेंकय लागल। अहि दौरान अतिक्रमण हटेबाक लेल आ यल जेसीबीक शीशा तोड़ि देल गेल। अहि के बाद चालक मशीन के चलैत छोड़ि कय भागि गेल। अहि दौरान मुशहरी सीओ नवीन भूषण व थानाध्यक्ष भास्कर के संग सब पुलिसकर्मी गौशाला मे जाकय शरण लेलक। फेर, थानाध्यक्ष समेत सब जवान तथा सैपक जवान मौका पर पहुंचल।
    बाद मे आक्रोशित लोकक कब्ज़ा सं जेसीबी के मुक्त करा गौशाला मे सुरक्षित राखल गेल।