उच्च शिक्षाक लेक्चरर बहाली मे आरक्षण समाप्त: नीतीश कुमार

    0
    585

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहारक शिक्षा व्यवस्था के लेल जल्दिये बहुत रास कदम उठेबाक घोषणा केलनि। नीतीश कुमार मिड डे मील सं शिक्षक के दूर राखि कय शिक्षक के आब केवल पढ़ाई स वास्ता रहबाक बात कहलनि।

    मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोमदिन आयोजित लोक संवाद के दौरान राज्यभरि के प्राथमिक आ माध्यमिक शिक्षक के मिड डे मील स्कीम स दूर रखबाक सुझाव पर अप्पन सहमति जाहिर केलनि। अहि के संग, पटना मे सोमदिन आयोजित लोक संवाद केंद्र मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार के शिक्षा विभाग मे सुधार करबाक लेल अधिकारी के निर्देश देलनि।

    अहि मौका पर ओ कहलनि जे, उच्च शिक्षा मे लेक्चररक बहालीक दिशा मे सरकार पैघ कदम उठाभय जा रहल अछि, जाहि के तहत आरक्षण के समाप्त कय देल जायत। अहि मे समाजक सबवर्गक लोक के लेक्चररक पद पर आसानी सं नियुक्ति कायल जा सकैत अछि।