नागेन्द्र झा महाविद्यालय मे साक्षर जागरूकता कार्यक्रम’क आयोजन

    0
    285

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा के नागेन्द्र झा महिला महाविद्यालय मे एनएसएस ईकाई द्वारा साक्षर जागरूकता कार्यक्रम के तहत नि:शुल्क शिक्षाक शुरूआत कायल गेल। कार्यक्रम के उद्घाटन विधान पार्षद अर्जुन सहनी केलनि। अहि अवसर पर ओ कहलनि जे, शिक्षित भेला सं अनेक छोट-पैघ समस्या स्वत: समाप्त भय जायत।

    अहि अवसर पर डा. संजीव कुमार, डा. महादेव झा, डा. सरोज राय, डा. अपर्णा झा, धर्मशिला गुप्ता सेहो अप्पन विचार रखलनि। कार्यक्रमक अध्यक्षता प्रधानाचार्य डा. ऋषि कुमार राय केलनि।