मिथिला’क धरोहरक रक्षार्थ लेल आयुक्त कार्यालय के समक्ष धरना

    0
    536

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मिथिलाक धरोहर के प्रति जन प्रतिनिधीक संवेदनहीनताक विरोध मे मिथिला विकास संघक जिला ईकाई प्रमंडलीय मुख्यालय स्थित आयुक्त कार्यालय के समक्ष चारि सूत्री मांगक सर्मथन मे धरना देलक अछि। कमलेश उपाध्याय के अध्यक्षता मे धरनास्थल पर भेल सभा के संबोधित करैत संघक संयोजक सुजित कुमार आचार्य कहलनि जे, मिथिला मे धरोहरक कमी नहि अछि, मुदा जनप्रतिनिधीक संवेदनहीनता के कारण बहुमूल्य धरोहर विलुप्त होबय के कगार पर अछि।

    ओतहि उदय शंकर मिश्र कहलनि जे, पांडुलिपि हमर बहुमूल्य धरोहर अछि, मुदा वर्षों बीत गेलाक बादो आय तक चोर पकड़ल नहि गेल। वरूण झा बलिराजगढ़क मामला उठेलनि। अहि के अलावा नगर निगम द्वारा शहर के नालाक बहाव एतिहासिक पोखरि मे करबाक मामला उठल।

    कुशेश्वरस्थान पक्षी बिहार मे अवैध शिकारमाही के लय संघ अवाज उठेलक। विचार व्यक्त करय वला मे अजय झा, कामोद चौधरी, डा. आनंद प्रकाश, ज्ञानेश्वर राय, रौशन झा, कन्हैया झा, विभूति मिश्र, राजीव झा आदि शामिल छलाह।