बेगूसराय मे दबाई व्यवसायी’क गोली मारिकय हत्या

    0
    526
    घटना बेगूसराय के वीरपुर थाना क्षेत्रक जगदर गामक अछि। मृतकक पहचान भरबन्नी निवासी नागेश्वर महतो के 42 वर्षीय पुत्र इनोद महतो के रूप मे कायल गेल अछि।
    जानकारी के अनुसार जगदर स्थित पुष्कर मेडिकल हॉल के मालिक इनोद महतो दोकान पर बैसल छल। तखनहि दू टा मोटरसाइकिल सवार पांच टा अपराधी दोकान पर ताबड़तोड़ फायरिंग करय लागल। बाद मे अपराधी दोकानक भीतर घूसि कय महतो के गोली स छलनी कय देलक।

    धटना स्थल पर पहुंचल डीएसपी राजेश कुमार कहलनि जे, ई घटना जमीनी विवाद स जुड़ल बुझा रहल अछि। पिछला दीपावली के समय सेहो महतो पर जानलेवा हमला कायल गेल छल, जाहि मे ओ घायल भय गेल छलाह। हालांकि पुलिस अप्पन स्तर स घटनाक जांच पड़ताल कय रहल अछि।