पुण्यतिथि पर जगह-जगह देल गेल बाबा साहेब के श्रद्धांजलि

    0
    276

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: संविधान निर्माता डा. भीमराव अम्बेडकरक पूण्यतिथि पर जगह-जगह कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल। मुगलपूरा छात्रावास मे कार्यक्रम के संबोधित करैत भाजपा विधायक संजय सरावगी कहलनि जे, बाबा साहेबक कहब छल जे, यदि देश स भ्रष्टाचार समाप्त करबाक हो त 10 वर्ष पर नोटबंदी जारी कायल जाय।

    ओ कहलनि जे, डा. अम्बेडकर आधुनिक भारतक निर्माता छलाह। देशक प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी हुनका पदचिन्ह पर चलि रहल छथि। कार्यक्रम मे सुनीत रंजन दास, प्रो. विनय पासवान, संजय महतो, भोला पासवान, कृष्ण कुमार पासवान, उमेश राय, सुरेश महतो, गोपाल पासवान, कमल राम, दिलीप बैठा आ मंगलू राम है अप्पन-अप्पन विचार रखलनि।

    दोसर दिस दलित शोषण मुक्ति मंच दरभंगा जिला कमिटी दिस सं डॉ. भीमराव अम्बेडकर के पुण्यतिथि अपर लहेरियासराय स्थित स्मारक पर पूष्पांजलि अर्पित कय श्रद्धांजलि देल गेल। परिसर मे शत्रुघ्न पासवानक अध्यक्षता मे श्रद्धांजलि सभा आयोजित कायल गेल। सभा के संबोधित करैत दलित शोषण मुक्ति मंचक राज्य सचिव श्याम भारती कहलनि जे, अम्बेडकर गरीब, दलित, शोषित के अधिकारक लेल संविधान मे जे कानून बनेलनि ओकरा आय बदलि देल जा रहल अछि।

    संकल्प सभा के राज्य कमिटी सदस्य रामसागर पासवान, नन्द राम, विनोद शर्मा, सुधीर पासवान, देवेन्द्र कमती, सत्यनारायण पासवान, विक्कू गिरि आ छात्र नेता मुकुल राज संबोधित केलनि।