दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार सं एक बेर फेर अपराधीक गोली सं निकलल गोली एकटा पत्रकारकें अपना चपेट मे लए लेलक। ताजा घटना बिहारक सासाराम सं आएल अछि जाहिठाम राष्ट्रीय हिन्दी दैनिक ‘‘दैनिक भास्कर’’ कें पत्रकार धमेन्द्र सिंह केर गोलीमाइर कऽ हत्या कए देल गेलनि। धर्मेन्द्र आइ भोरे अमरा पोखैर लग चाहक दोकान पर ठाढ़ छलाह कि तखने अज्ञात अपराधी ओहिठाम पहुंचल आ हुनका सीनाकें गोली सं छलनी कए ओहिठाम सं निपत्ता भए गेल।
खून सं लतपत पत्रकारकें बेहतर उपचारक हेतु बनारस लए जेवाक क्रममे हुनकर निधन भए गेलनि। आब अहिठाम बहुत रास सवाल बिहार सरकार आ सरकारक मुखिया नीतीश कुमार तथा मीडियाक ओहि संस्था सब पर उठैत अछि जे अपना आपकें मीडियाक कथित हितैशी कहैत अछि। आखिर कियैक बिहारमे एककें बाद एक पत्रकारकें अपराधी अपना गोलीक शिकार बना रहल अछि? आखिर नीतीश कुमार सत्ताक लोभमे आओर कतेक सरातल धरि खसताह। बिहारमे पत्रकारक नाम भेड़-बकरीक जान जेना जा रहल अछि मुदा नहि त अहि पर सरकार किछु बाजि रहल अछि आ नहि मीडियाक ओ ठेकेदार संस्था।
जखन कोनो पत्रकारक जान जाइत अछि आ कि ओ शोषित होइत अछि तखन स्वयंकें मीडियाक रक्षक कहैवला एडिटर गिल्ड कतए चलि जाइत अछि, आखिर प्रेस क्लब आॅफ़ इंडिया अहि पर कियैक चुप्प रहैत अछि। एहनमे ब्राॅडकास्ट एडिटर एसोसिएशन केर मुंहमे ताला कियैक पड़ि जाइत अछि। आखि़र केन्द्रीय सूचना एवं प्रसारण मंत्रालय कोनो ठोस गाइड लाइन कियैक नहि बना पावैत अछि। आओर खास कए ओ तथाकथित पत्रकार आ समाजिक ठेकेदार कियैक चुप्प भए जाइत अछि जे देशमे आपतकालक बात करैत अछि।
की नीतीश कुमार सहित ओहि नेता आ समाजिक ठेकेदार लग मृतक पत्रकारक परिवारक लेल धर्मेन्द्र कोनो भरपाई करैए वला साधन अछि? आखिर बिहार सहित देशमे कहिया तक पत्रकारक हत्या आ ओकरा पर शोषण अहिना चलैत रहत आ मीडियाक कथित पैरोकारी संस्था सब जगह-जगह अपन दोकान खोलि मलाइ खेबामे व्यस्त रहता। धर्मेन्द्र सिंहकें मिथिला मिरर परिवारक दिस सं अश्रुपूर्ण श्रद्धांजलि।