दू टा वाहनक बीच टक्कर मे सात गोटेक मौत, मरय वला मे छह गोटे एकहि परिवारक

    0
    392

    जमुई, मिथिला मिरर: बिहार के जमुई जिला मे एकटा वैन आ ट्रैक्टर के बीच टक्कर मे शुक्रदिन राति सात लोटेक मौत भय गेल। जहन कि एक दर्जन अन्य घायल भय गेल अछि।

    पुलिस अधीक्षक जयंत कांत के अनुसार हादसा राति करीब आठ बजे टाउन थानाक अंतर्गत खारगौर गोल चक्कर पर भेल। ओ कहलनि जे, घायल के सदर अस्पताल लय जायल गेल अछि। एसपी कहलनि जे, आमने-सामनेक टक्कर मे ट्रैक्टर पलटि गेल।

    मरय वला मे 6 गोटे एकहि परिवारक बताओल जा रहल अछि। ई सब अलीगंजक उड़वां पहाड़ सं मुंडन करवा कय ट्रैक्टर पर वापस लौट रहल छल। तखनहि टैक्ट्रक आ पिकअप वैनक बीच टक्कर भेल। जानकारी के अनुसार ट्रैक्टर पर 25 सं 30 लोक सवार छल। मरय वला मे 6 संधू गामक बताओल जा रहल अछि।