शहीदक परिजनक संग बीएसएफ केर टालमटोल वला व्यवहार निंदनीय

    0
    443

    दिल्ली-मिथिला मिररः जम्मू-कश्मीरक कुपवाड़ामे बुधदिन सीमा पर आतंकीक संग लड़वाक क्रममे शहीद भेल मधुबनी जिलाक रैयाम निवासी विकाश कुमार मिश्रक शहादतकें लगभग 24 घंटा भेल जा रहल अछि मुदा एखनो धरि सीमा सुरक्षा बल अर्थात बीएसएफ कें दिस सं परिवारकें कोनो तरहक सूचना नहि देल जा रहल अछि। एम्हर परिवार सहित गाम आ आस-पासक गांव-समाजमे स्थिति बहुत बेसी करूण बनल अछि। सब कियो अहि बातक जानकारी चाहैत छथि जे आखिर कखन धरि शहीद पार्थिव शरीरकें रैयाम, मधुबनी आनल जाएत ताकि अंतिम संस्कारमे बेसी सं बेसी लोकक जुटौन होइ मुदा बीएसएफ नहि त फोन उठा रहल अछि और नहि कोनो प्रकारक सूचना दए रहल अछि।
    जानल-मानल समाजसेवी आ शिक्षाविद डाॅ. सुनील कुमार झा मिथिला मिरर केर संपादक सं बातचीत करैत कहला जे बेर-बेर हमरा सब बीएसएस कैंपमे फोन कए रहलौह अछि मुदा ओहिठाम सं कोनो तरहक सूचना नहि देल जा रहल अछि। हमर एकटा ग्रामिण आर्मी आ एकटा इंटेलिजेंस ब्यूरो अर्थात आईबी मे छथि त हुनका लोकनिक माध्यमे सं जे पता चलि रहल अछि ओतबे सूचना हमरो लोकनिक लग पहुंचल अछि। डाॅ. सुनील कहला जे बीएसएफ एखन धरि नहि त स्थानीय प्रशासन कें अहि बाबत कोनो सूचाना देलक अछि आ नहि स्थानीय प्रशासनकें कोनो प्रकारक जानकारी अछि।
    हमरा सब लगातार मधुबनीक जिलाधिकारी आ आरक्षी अधिक्षकक संपर्कमे छी मुदा हुनका लोकनिकें कोनो तरहक सूचना तक बीएसएफ सं नहि भेटलनि अछि। डाॅ. झा कहला जे सूत्र सं भेल रहल जानकारीक मुताबिक आब 24 घंटाक बाद इ सूचना भेल रहल अछि जे पूंछ जे आब शहीदक पोस्टमार्टम कैल जा रहल अछि। कखन शहीदकें आनल जाएत आ कखन अंतिम संस्कार करब से किछु नहि फुरा रहल अछि। परिवार-समाजक कें अहिठाम हालत लगातर बिगड़ल जा रहल छैक मुदा बीएसएफ कें कोनो फर्क नहि पड़ि रहलैक अछि।