अगस्त मुनिक तर्पणक संग शुरू भय गेल पितृपक्ष

    0
    305
    दिल्ली-मिथिला मिररः अपन पुरखाकें पिंडदान आ हुनक मोक्ष प्राप्तिक लेल पंद्रह दिन तक चलै वला पितृपक्षक शुरूआत अगस्त मुनिक तर्पणक संग शुक्रदिन सं भय गेल। पहिल दिन प्रायः संपूर्ण भारत सहित नेपाल आ अन्य सनातनी जगह पर अगस्त मुनि कें तर्पण कैल गेल जाहि में फल आ फुलकी संग तर्पण कैल गेल। शनिदिन सं तर्पण केनिहार व्यक्ति लोकनि अपन पुरखाकें जल देतथि आ पिंडदान करताह। ओना त भारत में बहुत ठाम पिंडदान करवाक प्रचलन अछि मुदा भगवान विष्णुक नगरी ‘मोक्ष धाम गया में पिंडदानक किछु विशेष महत्व छैक।’ संपूर्ण विश्व सं लोक अपन-अपन पूर्वज लोकनि कें पिंडदान करवाक लेल गया में एकत्रित भय गेल छथि।
    पंद्रह दिन तक चलै वला अहि पिंडदानक लेल गया में भव्य तैयारी कैल गेल अछि। गयामे पिंडदान करैवला श्रद्धालुक संख्या लगातार बढि़ रहल छैक आ अहि कें देखैत प्रशासन श्रद्धालुक ठहरवा लेल विभिन्न जगह पर तंबू लगा श्रद्धालुक ठहरावाक व्यवस्था कैलक अछि। कर्मकांडक विधिक अनुसार गया मे पिंडदानकर्ता लोकनि एक दिन, तीन दिन, सात दिन, पंद्रह दिन आओर सत्रह दिन तक पितरकें पिंडदान आ तपर्ण करैत छथि। पंद्रह दिन तक चलैवला गया मेलाक लेल सुरक्षा व्यवस्थाक पुख्ता इंतजाम कैल गेल अछि।